Thursday, 9 April 2015

सप्तरीके मल्हनियाँ टोलमे भीषण आगिलगी 

५० परिवारके एकसौ सँ बेसी घर जरिके नष्ट


सप्तरीक रम्पुरामल्हनियाँ गाविसके वाड नम्वर–५ मे बृहस्पति दिन दुपहरमे भीषण आगिलगी भेल अछि ।
मल्हनियाँ टोलमे भेल आगिलगीमे ५० परिवारके एक सौ सँ बेसी घर जरिके नष्ट भेल अछि । आगिलगीमे परि एक दर्जनसँ बेसी पशु चौपायाके सेहो जरिके मृत्यू भेल अछि । दशरथ यादवके घरस शुरु भेल अगिलगीमे सुखराम यादव, छेदी यादव, अनिरुद्ध यादव, रामचरित्र यादव, असर्फी सुतिहार, जादुराम यादव, नारायण सुतिहार, बलदेव यादव, गङ्गा यादव सहितके व्यक्ति सभक घर जरिके नष्ट भेल जानकारी सप्तरीके प्रहरी नायव उपरीक्षक नारायण प्रसाद चिमरियाले जानकारी देलैन्ह ।  दुपहरियाक समयमे चलल हावा बिहाइरके कारण एके घण्टामै बस्ती सखाप भेल छल । अगिलगी भेल टोलधरि पहुँचवाक रास्ता सहज नहि भेलासँ बारुणयन्त्र दू घण्टा बिलम्ब पहुँचल छल । नेपाली सेना, नेपाल प्रहरी, सशस्त्र प्रहरी आ स्थानीयवासिन्दाक मद्दतसँ करिब तीन घण्टाक बाद आगि नियन्त्रणमे आएल छल ।











1 comment: